Lotus Blooms

की एक मायक नि:स्वार्थ प्रेम एहि स्वार्थी संसार कें बदलि सकैत अछि? ‘Lotus Blooms’ (लोटस ब्लूम्स) मात्र एक फिल्म नहि, बल्कि माय-पुत्रक पवित्र सम्बन्धक एक मार्मिक यात्रा अछि।

ई कथा अछि ‘सरस्वती’ के, जे साक्षात प्रकृति माएक रूप छथि। समाजक निष्ठुर व्यवहारक बादो हुनका अपन सन्तानक प्रति ममता आओर प्रकृति पर विश्वास कखनो कम नहि भेलनि। जखन परिस्थिति विपरीत भेल, तखन प्रकृति माए स्वयं हुनका आओर हुनका सन्तानक रक्षा केलखिन।